विचार
अपनामे समटाएल समाजिक प्राणी
Published Date : May 04, 2014
उपेन्द्रभगत नागवंशी,
सार्थक निरर्थक जे कोनो घटना समाजमे घटित होयत छल । ओकर निदान समाजिकेँस्तर पर होइत छल । आब ओ प्रथा लदिगेल अछि, तथापि अखनो किछु गाम समाजमे कोनो घटना घटित भेला पर समाजक भर–भलाआदमीसभ बैसक निकासक मार्ग निकालैत अछि । समाजिकस्तर पर हुअवाला एहन निर्णय एकपीक्षिय हुअ सकैए, आ होइतो छल एहन बहुत उदाहरण अछि । मुदा, सर्वपक्षिय हितक बात रहल तखन एकटाकेँ डेरएने धमकैने, दण्डित कएने आओर गोटे डेराइत अछि , सचेत होइत अछि, सुधरैत अछि तखन ओहन निर्णय करबस’ नइ चूकैत छल ।
लोक (दोषी वा निदोर्षि) समाजिकस्तर पर भेल पञ्चैतीक निर्णय सहजे स्वीकार कलैत छल । मुदा अखनुका समयमे जेना–जेना लोक बुझनीक भेल जारहल अछि,। तेना–तेनाक पञ्चक निर्णयस’ चित्त नइ बुझला पर प्रहरी प्रशासन, अदालतक देहरीधरि पुंगिक न्यायक गुहार लगबैत अछि । ओकिल, प्रहरी प्रशासनीक निकायमे हजारों, लाखो रकम खर्च क’ क’ अन्ततः सन्तोषो करैए । तैँ अखनु समान्य साँई बहुमे हुअबाला झगड़ाक फैशला लेल सेहो लोक प्रहरी, प्रशासनीक निकायमे चल जाइए । लेनी–देनी,मनखप–बटैयाबला झण्झट फरिझाबस’ ल’क’ राढ़ि–बेटकौखी सन कहा कहौबल गड़ा गड़ौवल कएनिहारि, घरमे साउंस ठुन्कौलक, ननदि झगरा लगौलक, दियादनि परतर देलक, भौजाई गरियौलक, देउर रबस कएलक, ससुर हुलकल, घरबाला डेगौलक ई सभ आपसी पारिवारिक समस्यासभकेँ घर परिवारस’ हुअबाला निर्णय समाजक आगु जाइत अछि । त’ समाज गामक इज्जति नाङ्गट उघार नइ होए ताहि लाथे गाममे निर्णय कए मीलान करैत अछि । मुदा आब एहनो घटनासभ प्रहरी प्रशासनिक निकायमे पुंगैत अछि । जकर उदाहरण तराईक्षेत्रक कोनो प्रहरी कार्यालय, जिला प्रशासन सहितक सरोकारी निकायमे मानव हेंज देखक लेल जासकैए । लोक फिरसानीक अनुमान सेहो लगाओल जासकैए ।कानुनीराजमे कानुनक साशन व्यवस्थामे कानुनी उपचार करब आवश्यक होइत अछि । मुदा समाजिकस्तर पर हुअबला फैशला समाजमे क’ लिअमे बुद्धिमानी अछि, सामुदायिक मेल मीलाप मध्यस्ता केन्द्र जनकपुर नगरक अगुवा मिथिलेशलाल कर्ण कहैत छथि । हरमसबहक समाज जे पहिनहीस’ एहन नीति बनाक चलैत आएल अछि । समाजिकस्तर पर घटित घटनाक कारण आ ओकर निवारणक जे पद्धति समाज अपनोने छल ओ अखनो उपयुक्त रहल तर्क अछि । समाजिक हितलेल अपन कुशलता आ बुद्धिमताक परिचय हमरसबहक समाज पहिनेस’ दैत आएल अछि । मुदा अखनु ओइमे बदलाव आविगेल अछि,तकरकारण अछि लोभी प्रबृति आ एक दोसरकेँ लड़ाक धन उगाहिक माध्यम बनाएब आ अपनाकेँ सुरखुरु कहाएब, ओहन मानसिकता रहब । से कहब अछि नेपाल पत्रकार महासंघक पूर्व केन्द्रिय सदस्य एवं धनुषाक पूर्वअध्यक्ष अशोक रौनियारकेँ । वर्तमान समयमे समाजमे किछु तेहनतत्वक कारण सउंसे समाज प्रदुषित आ समाजिक प्राणि दुखित भरहल अछि । पञ्चकेँ परमेश्वर मानैत जाइत छल, पञ्चायतमे निर्णय तेहने होइत छल । ओ परमेश्वरो आब लोभ लालचस’ भरल आ निहित फैदा लेल निर्णय करैत अछि । जे सर्व स्वीकार्य नइ भेने प्रहरी प्रशासनमे समान्य बात एकटा मुद्दा बनिक जाइत अछि । लोक ओइमे ओझराएल रहैत अछि । ई खेला ओहिना नइ होइत अछि । ग्रामिणक्षेत्रमे प्रहरी प्रशासनस’ मीलल समाजक किछु तेहन लोक गाम घरमे खरो खड़खड़एला पर कान ठाढ़ कएने रहल । पीड़ित आ पीड़क दूनुकेँ उकसौलक , चढ़ौलक आ थाना–प्रहरीमे निवेदन धरवा देलक, फेर की महो महो ! एना कएलामे तेहन धूरन्धर लोक तिनतर्फा कमिशन खाइत अछि । विभिन्न बहाने दूनु झगरियास’ अलगे, प्रहरी प्रशासनस’ अलगे ! ई व्यथीति अखनुका समाजक अछि । अइ सम्बन्धमे पत्रकार अबधेश कामत अपन फरक धारना राखैत कहैत छथि–‘‘ हरेक क्षेत्रमे क्रपशने–क्रपशन अछि । मात्र ४० वर्ष पहिने समाजमे रहएबाला लोक एकदोसरके बारेमे गम्भिर अध्ययन अनुसंधान करैत, अनुभव संग्रह करैत छल । एक दोसरस’ ओकर चर्चा परिचर्चा करैत छल । आब एना करएबालाकेँ ठामे कहि दैत अछि तों हमर अदखोइ बदखोइ करएबाला के ? उन्टे खिदानत कदैत अछि । आब सोशल सान्सक बात रहिए नइ गेल अछि । आब सभतरि क्रप्शन साइन्सक बोलबाला अछि ।’’लोक एक–दोसरक घरमे बिनु टोकारि देनहँु खोज पुछारि करए लेल कि केहन समस्या अछि । ओइकेँ हल निकालब लेल कि कसैत छी ओ उपकैरक पुछ जाइत छल । आब ओहिना घर दिश तकला पर चिन्हा परिचय रहलो पर चट् द’ घरबैया कहि दैत अछि तों हमर घर देहरी दिश हुलकी किएक मारलाह ! एहनमे लोकस’ लोक डेराए लागल अछि । प्रायः सभकेँ सभ अपन अपनामे सीमित भगेल अछि । समाजमे रहितो समाजिक प्राणि अपनामे समटाक रहिगेल अछि ।


प्रतिक्रिया पठाउनुस्
नाम
ईमेल
ठेगाना
प्रतिक्रिया
क्याप्चा   [Reload Image]
 
 

 

प्रतिक्रियाहरु



अरु समाचारहरु

रुचाईएका सामाग्री
ss
बेल निमन्त्रणा र शोभा यात्रा
महेशकुमार दास  महोतरी ४ कार्तिक वडा दशैंको अवसरमा महोत्तरीको विभिन्न शक्तिपीठहरुमा बेल निमन्त्रणका लागि आज शोभा यात्रा निकालेका छन् । जिल्लाको मटिहानी, जलेश्वर, पिपरा, गौशाला, रामगोपालपुर, सम्सी लगायतका ..
ss
महिलाको नजरमा पुरुष सेक्स मेसिन
एजेन्सी, जनकपुर, जेठ ११, सायद धेरै महिलाले यो सोँच्दछन् की पुरुषहरु सधैँ सेक्सका लागि तयार हुन्छन् । यो मान्यता २०÷२२ वर्षको तन्नेरीको हकमा त सही हुन सक्ला तर परिपक्व उमेरका अर्थात् पाको पुरुषको हकमा गलत सावित ..
ss
जनकपुर उपमहानगरपालिका प्रति नकारात्मक असर
धर्मराज, १८ चैत, जनकपुर ।  जनकपुर उपमहानगरपालिका ले नगरको फोहर उठाउन बन्द गरेको छ । उपमहानगरपालिका ले नगरको फोहर उठाउन बन्द गरेकोले अहिले जताजतै विभिन्न चौकमा फोहरको डुगंर जम्मा भएको छ।यस्ले गर्दा स्थानिय ..
ss
मधेशमा निर्वाचनको समस्या , प्रमुख निर्वाचन आयुक्त....
धर्मराज,४ चैत्र, जनकपुर । निवौचन कार्यालय धनषाले जिल्ला प्रशाशन कार्यालय मा स्थानिय निर्वाचन बारे डाकिएको बैठक मधेशी मोर्चाले बहिष्कार गरेको छ ।स्थानिय निर्वाचन बारे र प्रतिनिधिहरु तोक्ने समबन्धमा ..
ss
जनकपुर उपमहानगरपालिका को आवश्यक टेलिफोन र फैक्स बन्द
धर्मराज,  १७ चैत, जनकपुर । जनकपुर उपमहानगरपालिका को अति आवश्यक टेलिफोन र फैक्स बन्द अवस्थामा रहेको छ । आग लागी बखत को बेला खबर गरिने उपमहानगरपालिका को सब भन्दा महत्वपुर्ण नम्बर ०४१५२००११ को टेलीफोन सेट खराब ..
ss
१५ रानी, ३० बच्चा र १०० नौकर सहित भारत आए स्वाजीलैंड का राजा
जनकपुरखबर, कात्तिक १३ ,०७२।  नयाँ दिल्ली , भारत अफ्रीका शिखर सम्मेलन मा ५४ देशका प्रतिनिधिहरु भाग लिरहेका छन । यस्मा स्वाजीलैंड नाम गरेको गरीब देश को अमीर राजा मस्वाती तृतीय आफ्ना १५ रानी, ३० बच्चा र १०० नौकर सहित ..
अन्तर्वार्ता
ss सीमांकन बेइमान अमिनले खराब जमिनको कित्ताकाट गरे जस्तो
थारु र मधेसी मिल्दा तीन नेतालाई पीडा भएको छ----- तराई मधेस लोकतान्त्रिक पार्टीका सह-अध्यक्ष हृदयेश त्रिपाठी तार्किक नेता मानिन्छन् । संविधानको मस्यौदा एवं प्रदेशको सीमांकनलाई लिएर मधेसवादी नेतामाथि लागिरहेका ..
विचार
ss तरार्इमा चुनाव कि आन्दोलन ?
भरत लामिछाने......दोस्रो चरणको स्थानीय चुनावको मुखमा यतिबेला तराई(मधेसमा अन्यौलको वातावरण छ । एकातिर सरकारले तराईका जायज मागहरु पूरा गर्नुपर्ने दायित्व छ । अर्कातिर, सरकारको नियन्त्रण बाहिरको माग पूरा गराउन ..
ss रामेछापका बाहुन कसरी पुगे जनकपुर
विमल पोखरेल----- नेपालमा संघीय प्रदेशहरुको सीमांकन सम्वन्धी दलहरुको सहमति सार्वजनिक भएसँगै जनताहरु आ(आफ्ना प्रदेशका विशेषता, साँस्कृतिक पहिचान, आर्थिक सामथ्र्य र सम्भाब्य राजधानीको अवस्थितिलाई आधार बनाएर ..
रोचक विश्व
ss १५ रानी, ३० बच्चा र १०० नौकर सहित भारत आए स्वाजीलैंड का राजा
जनकपुरखबर, कात्तिक १३ ,०७२।  नयाँ दिल्ली , भारत अफ्रीका शिखर सम्मेलन मा ५४ देशका प्रतिनिधिहरु भाग लिरहेका छन । यस्मा स्वाजीलैंड नाम गरेको गरीब देश को अमीर राजा मस्वाती तृतीय आफ्ना १५ रानी, ३० बच्चा र १०० नौकर सहित इंडिया आएका छन ।खास कुरा के छन भने उनी १५ रानी, ३० बच्चा र १०० भन्दा अधिक नौकरहरुको साथ नयाँ दिल्ली को एक मंहगो होटलमा बसेका छन ।उनी माथी आफ्ना प्रतिनिधिमंडल का सरकारी सदस्यहरु लाई ..
ss जापान मा लिङ्ग मेला ।।
(एजेन्सी) जापानको कावासाकी शहरमा प्रत्येक वर्ष अप्रील ५ मा मनाईने लिङ्ग मेलाको आयोजना यस वर्ष पनि गरिएको छ । विश्वकै सबैभन्दा ठूलो लिङ्ग मेलाका रुपमा चर्चित सो मेलामा सबै सामानहरु पुरुष लिङ्ग जस्तै देखिने वस्तुहरु बोकेर पुरुष तथा महिलाहरु समेत सडकमा घुम्ने गर्छन् । मेलामा सहभागी महिलाहरुहरुले पुरुष लिङ्गको आकारमा बनाइएका ललिपपहरु चुस्दै खुल्लारुपले सडकमा हिंडछन । एक किवदन्ती ..
ss छालामा हुक खोपेर पार गर्र्दै १,७४७ फीट चौडाइको नदी
एजेन्सी , ट्यारोलिन ट्रेवर्स सामान्यतया पर्वतारोहण अथवा नदिहरुलाई पार गर्ने समयमा गरिन्छ । समस्या परेको बेलामा यसको उपयोग अझ बढि गरिन्छ । मात्र एउटा डोरीको सहायताले मानिसहरु गुरुत्वाकर्षणको प्रयोग गरेर एउटा अन्त्य देखि अर्को अन्त्य सम्म पुग्ने गर्दछन् । १९ औँ शताब्दिको अन्त्यमा आल्प्स श्रृंखलाको ट्यारोलिनमा यसको प्रयोग गरिएको थियो ।यसैलाई निरन्तरता दिदैँ २३ वर्षकी मारिया ..
अपिल