विचार
वैदेशिक रोजगारी ! बिगरैत समाजिक संरचना
Published Date : Apr 19, 2015
–उपेन्द्रभगत नागवंशी ,
विपन्नतास’ मुक्ति सम्मपन्नता मात्र दिआब सकैए । सम्पन्नताक लेल लोक कि–की नइ करैए आ करए चाहैए । हमरा सबहक देशमे एकटा गाममे रहएवाला अति समान्य लोक जे एक साँझ खाय त’ दोसर साँझलेल झख परैय । तेहनो विपन्न लोकसभ वैदेशीक रोजगारी मे जाक’ आर्थिक रुपमे सवल भेल प्रसस्त उदाहरण अछि । वैदेशिक रोजगारी समाजमे एकदिस आर्थिक सवलता अनलक अछि, त तहि समाजिक संरचनामे दरिद्रता आईन क राखिरहल अछि ।
समाजमे व्यभिचार, दुराचार अइ रुपमे बैढ़ रहल अछि । जकर वर्णन शब्दमे करब ओहो समाजिक व्यवस्थाकेँ चीर्रीबीर्री करत । वैदेशिक रोजगारीमे जाएबाला लोकक घरमे–परिवारमे विपन्नता दूर अरबैसक भेल अछि । मुदा पुतहु–ससुर, भाबो–भैंसुरधरिक लेहाजी सम्बन्ध घरवाला घरवालीसन बनि रहल अछि । ई जानियोक आ नहियो जानिक एहन सम्बन्ध स्थापित भए रहल अछि । मानवीय जीवनक किछु एहनो खगता होइत अछि । जे नइ चाहितो पुरा करए परैत अछि । विपन्नतास’ मुक्त भेला पर आ सम्मपन्नता देहरी पर अएने काम वासना जागरुक होइत अछि । जे मानवीय आवश्यकता अछि ।
एकर जरुरत दुःख धन्धामे ओझराएल लोककेँ ओतेक नइ आबैत अछि । मुदा जहिना चिन्ता फिकिरस’ मुक्त होइत अछि । भौतिक सुख सुविधा सम्मपन्नता रहल त’ कामदेव जागृत होइत अछि । जे चाहनापुरा करबमे लोक लागि जाइत अछि । वैदेशिक रोजगारीमे गेलहा विवाहितासभकेँ हाल काम अग्निक कारण ओ अपन खुराक पूर्तिक हेतु लापरवाह भजाइत अछि । जे समाजिक हरेक सम्बन्धकेँ चीर्रीबीर्री क’क’ राखि रहल अछि ।एहने हालतमे बहुत लोकडरछेरुवा आ किछुए लोक हिम्मतगर भरहल अछि समाजिक व्यवस्थास’ लड़ब लेल ।
बैदेशिक रोजगारीमे गेलहाक अधिकांशक व्यथा एक्कहिसन रहल प्रतित होइत अछि । ओ छैक ‘सेक्स’ जकर आपूर्तिक नइ होएब । समाजमे उत्तेजित वातावरण ,तामसी खानपान , एवं सिनेमा, टीभी,सीडि आदि समेतस’ प्रसारित उतेजनात्मक, फोहरपन मनोरञ्जन कार्यक्रमस’ मन रङ्गीन करैत अछि । तेहनमे मन रसियाक संग नइ रहने हिस्टीरिया अवसादक शिकार लोक बनैए अथवा पर पुरुषक गोदी खोजैय । तेहना अवस्थामे अपन परार जकरास’ संकेत भेटल कामातुर मन लोकलाज, धर्म, धैर्य सभ छोड़िक ओकर बांहुपासमे समा जाइत अछि । ई क्षणिक आनन्द एकबेर प्राप्त कएलेला पर चस्का लगैत अछि । तकराबाद ससुर–भैंसुरक लाज–लेहाज सेहो नइ रहि जाइत अछि । भयावह अवस्था तखन श्रृर्जित होइत अछि, जखनि अनैतिक गर्भधारन भजाइत अछि । ताहि अवस्थामे समाजक डर, लोक–लाज, कूल–मर्यादा वंश–परम्पराक लाथे परदेशियाक जीवन संगनी स्वयं याह लीला समाप्त कए लैत अछि । अथवा कएदेल जाइत अछि । अथवा गर्भपतन कराक सुरखुरु बनल रहैत अछि, सतभत्तरि रहितो सतबरती बनल रहैत अछि ।
समाजमे एहन बहुत घटना दिनानुदिन भए रहल अछि । प्रहरी, प्रशासन, समाजिक सरोकारस’जुरल संघ—संस्थाक तथ्यांको देखला पर अइबातक पुष्टि होइत अछि । तथापि समाज आ सरकार सभकेँ सभ चुप्पी सधने अछि । दूनुक मौन सहमतिमे समाजमे व्यभिचार, दुराचार आ अपराध पनपैत जा रहल अछि ।
एकर उपाय कि ? अइ लेल समाजमे नव बहसक खगता अछि ! समाजकेँ स्वयं अइ पर पहल करब ओकर दरकार अछि । बेरोजगारी, भूखमरी अछि सत्ये । त’ ई रहबे करत, तखन उपाय कि घरघरमे बेश्या–बेहाया हमसभ बनबैत जाइ, आर्थिक सम्मपन्नताक लेल ? सरकार अपन जनतालेल स्वदेसेमे रोजगार उपलबध कराबो, तीन वर्ष पर एक वेर विदेश गेलहाकेँ आबकेँ व्यवस्थाकेँ ठाममे आधा वरिस पर आबकेँ आ उचित श्रमकेँ मूल्य भेटौ तकर उपाय कएलास’ होएत की ? अइ सभ विषय पर सरकारकेँ प्रष्टनीति होबहि चाही । मुदा समाजक सोंच की अछि ?ओहो प्रष्ट समाजकेँ स्वयं करए परत ।
 

प्रतिक्रिया पठाउनुस्
नाम
ईमेल
ठेगाना
प्रतिक्रिया
क्याप्चा   [Reload Image]
 
 

 

प्रतिक्रियाहरु



अरु समाचारहरु

रुचाईएका सामाग्री
ss
बेल निमन्त्रणा र शोभा यात्रा
महेशकुमार दास  महोतरी ४ कार्तिक वडा दशैंको अवसरमा महोत्तरीको विभिन्न शक्तिपीठहरुमा बेल निमन्त्रणका लागि आज शोभा यात्रा निकालेका छन् । जिल्लाको मटिहानी, जलेश्वर, पिपरा, गौशाला, रामगोपालपुर, सम्सी लगायतका ..
ss
महिलाको नजरमा पुरुष सेक्स मेसिन
एजेन्सी, जनकपुर, जेठ ११, सायद धेरै महिलाले यो सोँच्दछन् की पुरुषहरु सधैँ सेक्सका लागि तयार हुन्छन् । यो मान्यता २०÷२२ वर्षको तन्नेरीको हकमा त सही हुन सक्ला तर परिपक्व उमेरका अर्थात् पाको पुरुषको हकमा गलत सावित ..
ss
जनकपुर उपमहानगरपालिका प्रति नकारात्मक असर
धर्मराज, १८ चैत, जनकपुर ।  जनकपुर उपमहानगरपालिका ले नगरको फोहर उठाउन बन्द गरेको छ । उपमहानगरपालिका ले नगरको फोहर उठाउन बन्द गरेकोले अहिले जताजतै विभिन्न चौकमा फोहरको डुगंर जम्मा भएको छ।यस्ले गर्दा स्थानिय ..
ss
मधेशमा निर्वाचनको समस्या , प्रमुख निर्वाचन आयुक्त....
धर्मराज,४ चैत्र, जनकपुर । निवौचन कार्यालय धनषाले जिल्ला प्रशाशन कार्यालय मा स्थानिय निर्वाचन बारे डाकिएको बैठक मधेशी मोर्चाले बहिष्कार गरेको छ ।स्थानिय निर्वाचन बारे र प्रतिनिधिहरु तोक्ने समबन्धमा ..
ss
जनकपुर उपमहानगरपालिका को आवश्यक टेलिफोन र फैक्स बन्द
धर्मराज,  १७ चैत, जनकपुर । जनकपुर उपमहानगरपालिका को अति आवश्यक टेलिफोन र फैक्स बन्द अवस्थामा रहेको छ । आग लागी बखत को बेला खबर गरिने उपमहानगरपालिका को सब भन्दा महत्वपुर्ण नम्बर ०४१५२००११ को टेलीफोन सेट खराब ..
ss
१५ रानी, ३० बच्चा र १०० नौकर सहित भारत आए स्वाजीलैंड का राजा
जनकपुरखबर, कात्तिक १३ ,०७२।  नयाँ दिल्ली , भारत अफ्रीका शिखर सम्मेलन मा ५४ देशका प्रतिनिधिहरु भाग लिरहेका छन । यस्मा स्वाजीलैंड नाम गरेको गरीब देश को अमीर राजा मस्वाती तृतीय आफ्ना १५ रानी, ३० बच्चा र १०० नौकर सहित ..
अन्तर्वार्ता
ss सीमांकन बेइमान अमिनले खराब जमिनको कित्ताकाट गरे जस्तो
थारु र मधेसी मिल्दा तीन नेतालाई पीडा भएको छ----- तराई मधेस लोकतान्त्रिक पार्टीका सह-अध्यक्ष हृदयेश त्रिपाठी तार्किक नेता मानिन्छन् । संविधानको मस्यौदा एवं प्रदेशको सीमांकनलाई लिएर मधेसवादी नेतामाथि लागिरहेका ..
विचार
ss तरार्इमा चुनाव कि आन्दोलन ?
भरत लामिछाने......दोस्रो चरणको स्थानीय चुनावको मुखमा यतिबेला तराई(मधेसमा अन्यौलको वातावरण छ । एकातिर सरकारले तराईका जायज मागहरु पूरा गर्नुपर्ने दायित्व छ । अर्कातिर, सरकारको नियन्त्रण बाहिरको माग पूरा गराउन ..
ss रामेछापका बाहुन कसरी पुगे जनकपुर
विमल पोखरेल----- नेपालमा संघीय प्रदेशहरुको सीमांकन सम्वन्धी दलहरुको सहमति सार्वजनिक भएसँगै जनताहरु आ(आफ्ना प्रदेशका विशेषता, साँस्कृतिक पहिचान, आर्थिक सामथ्र्य र सम्भाब्य राजधानीको अवस्थितिलाई आधार बनाएर ..
रोचक विश्व
ss १५ रानी, ३० बच्चा र १०० नौकर सहित भारत आए स्वाजीलैंड का राजा
जनकपुरखबर, कात्तिक १३ ,०७२।  नयाँ दिल्ली , भारत अफ्रीका शिखर सम्मेलन मा ५४ देशका प्रतिनिधिहरु भाग लिरहेका छन । यस्मा स्वाजीलैंड नाम गरेको गरीब देश को अमीर राजा मस्वाती तृतीय आफ्ना १५ रानी, ३० बच्चा र १०० नौकर सहित इंडिया आएका छन ।खास कुरा के छन भने उनी १५ रानी, ३० बच्चा र १०० भन्दा अधिक नौकरहरुको साथ नयाँ दिल्ली को एक मंहगो होटलमा बसेका छन ।उनी माथी आफ्ना प्रतिनिधिमंडल का सरकारी सदस्यहरु लाई ..
ss जापान मा लिङ्ग मेला ।।
(एजेन्सी) जापानको कावासाकी शहरमा प्रत्येक वर्ष अप्रील ५ मा मनाईने लिङ्ग मेलाको आयोजना यस वर्ष पनि गरिएको छ । विश्वकै सबैभन्दा ठूलो लिङ्ग मेलाका रुपमा चर्चित सो मेलामा सबै सामानहरु पुरुष लिङ्ग जस्तै देखिने वस्तुहरु बोकेर पुरुष तथा महिलाहरु समेत सडकमा घुम्ने गर्छन् । मेलामा सहभागी महिलाहरुहरुले पुरुष लिङ्गको आकारमा बनाइएका ललिपपहरु चुस्दै खुल्लारुपले सडकमा हिंडछन । एक किवदन्ती ..
ss छालामा हुक खोपेर पार गर्र्दै १,७४७ फीट चौडाइको नदी
एजेन्सी , ट्यारोलिन ट्रेवर्स सामान्यतया पर्वतारोहण अथवा नदिहरुलाई पार गर्ने समयमा गरिन्छ । समस्या परेको बेलामा यसको उपयोग अझ बढि गरिन्छ । मात्र एउटा डोरीको सहायताले मानिसहरु गुरुत्वाकर्षणको प्रयोग गरेर एउटा अन्त्य देखि अर्को अन्त्य सम्म पुग्ने गर्दछन् । १९ औँ शताब्दिको अन्त्यमा आल्प्स श्रृंखलाको ट्यारोलिनमा यसको प्रयोग गरिएको थियो ।यसैलाई निरन्तरता दिदैँ २३ वर्षकी मारिया ..
अपिल