भारत सरकारक सहयोगमे निर्माण होबए लागल १० परियोजनाके समझदारी पत्रमे हस्ताक्षर

काठमाण्डू,२० चैतः भारत सरकारके अनुदान सहयोग अन्तर्गत नेपालमे शिक्षा, स्वास्थ्य आ संस्कृति क्षेत्रमे कार्यान्वयन भ रहल १० टा उच्च प्रभाव सामुदायिक विकाश परियोजनाक समझदारी पत्रमे हस्ताक्षर भेल अइछ ।

भारतके सहयोगमे कूल ६२ करोड पाँच लाख टका परियोजना लागतमे नेपालमे १० टा उच्च प्रभाव सामुदायिक विकाश परियोजना (एचआइसीडीपी) सञ्चालन करबाक लेल काठमाण्डूस्थित भारतीय दूतावास, नेपाल सरकारके सङ्घीय मामला तथा सामान्य प्रशासन मन्त्रालय आ नेपाल सरकारके परियोजना कार्यान्वयन एजेन्सीसभ आइ समझदारी पत्र (एमओयु) मे हस्ताक्षर कएने छैथ ।

नेपालमे ई परियोजना नेपाल सरकारके स्थानीय निकाय जेना महानगरपालिका, उपमहानगरपालिका, नगरपालिका आ गाउँपालिका मार्फत कार्यान्वयन कएल गेल दूतावास द्वारा जानकारी देल गेल अइछ । ई उच्च प्रभाव सामुदायिक विकाश परियोजना (एचआइसीडीपी) के कार्यान्वयन नेपालक जनताकेँ नीक शैक्षिक, स्वास्थ्य सेवा आ सांस्कृतिक सुविधा प्रदान करबाक लेल मद्दत करत ।

सन् २००३ आगा भारत आइ समझदारी पत्रमे हस्ताक्षर भेल १० टा परियोजना सहित नेपालमे ५७३ सँ बेसी एचआइसीडीपीसभमे कार्य कएल गेल अइछ आ नेपालके सातु  प्रदेशक निचला तहमे शिक्षा, स्वास्थ्य, सडक तथा पुल, नदी तालिम, पाइन, विद्युतीकरण, सिँचाइ, संस्कृति, समाज कल्याण आ अन्य सार्वजनिक उपयोगिताके सिर्जनाके क्षेत्रमे चाइर सओ ९५ परियोजना पूरा कएने अइछ । बाँकी परियोजना विभिन्न चरणसभमे सञ्चालन भ रहल अइछ ।(रासस) 

Leave a Comment

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Scroll to Top