नेपाल नेत्र ज्योति संघ आ महिडोल युनिभर्सिटी बीच सम्झौता

काठमाण्डू,२० चैतः नेपाल नेत्रज्योति संघ आ थाइल्याण्डक महिडोल युनिभर्सिटी बीच आँइख इलाज सेवाके विकाश आ विस्तार लेल आपसी सहकार्य सम्बन्धी सम्झौता पत्रमे हस्ताक्षर भेल अइछ।

थाइल्याण्डक औपचारिक भ्रमणमे रहल नेपालक प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली आ थाइल्याण्डक प्रधानमन्त्री पे थिङ् शिनावात्क समक्ष बैंककमे ई सम्झौता सम्पन्न भेल, नेपाल नेत्रज्योति संघ द्वारा जानकारी देल गेल।

एहि सम्झौत अन्तर्गत, आँइख इलाज सेवाक विकाश आ विस्तार लेल ज्ञान, विशेषज्ञता आ प्रविधिक आदान-प्रदान हएत। सम्झौता पत्र पर नेपाल नेत्रज्योति संघक अध्यक्ष प्रा.डा. चेतराज पन्त आ महिडोल युनिभर्सिटीक चिकित्सा सङ्काय, राउपर बोडी अस्पतालक डिन प्राध्यापक आर्टिट उङ्कानन्त हस्ताक्षर कएलैन।

सम्झौताक अनुसार, नेपाल, थाइल्याण्ड आ अन्य देश सभमे संयुक्त रूपसँ आँइखके परीक्षण तथा देखभाल सम्बन्धी कार्यक्रम संचालन कएल जाएत। नेपाल नेत्रज्योति संघके कार्यकारी निर्देशक डा. शैलेश कुमार मिश्रक अनुसार, नेपाल आ थाइल्याण्डक नेत्र विशेषज्ञ सहित अन्य सम्बन्धित विशेषज्ञ सभके अनुभव आ क्षमताक अभिवृद्धि लेल संयुक्त रूपसँ काज होएत।

सङे ‘इन्टर्नशिप’ आ छात्रवृत्तिक आदान-प्रदान सेहो कएल जाएत। महिडोल युनिभर्सिटी थाइल्याण्डक सबसँ पुरान आ प्रतिष्ठित चिकित्सा संस्थामे गनल जाइत अइछ।

सन् १८८८मे तत्कालीन राजा चुलालोङ्कोर्न (राम पञ्चम) द्वारा स्थापित ई विश्वविद्यालय चिकित्सा अनुसन्धान आ शिक्षामे उत्कृष्टता हासिल कएने अइछ आ स्वास्थ्य सेवाक प्रवर्द्धनमे विश्वव्यापी योगदान देने अइछ। सन् १९७८मे स्थापित नेपाल नेत्रज्योति संघ नेपालक अग्रणी गैरसरकारी संस्था छी।

ई संस्था सुलभ आ गुणस्तरीय आँखाक इलाज सेवा प्रदान करैत अइछ। २८ टा आँइख अस्पताल, २२४ टा आँइख इलाज केन्द्र आ ४५ टा जिला शाखाक माध्यमसँ ई संघ वार्षिक ३० लाखसँ बेसी लोककेँ सेवा दैत अइछ आ तीन लाखसँ बेसी आँइखक शल्यक्रिया करैत अइछ।

एहि सम्झौतासँ नेपाल-थाइल्याण्ड सहकार्यके नयाँ अध्यायक शुरूआत भेल अइछ। ई सम्झौता उच्च गुणस्तरक आँइखक इलाज सेवा प्रदान करबाक सङ-सङे रोकथाम योग्य दृष्ट्रि विहिनके न्यूनीकरणमे महत्वपूर्ण भूमिका निभेबाक विश्वास संघ व्यक्त कएने अइछ।(रासस)

Leave a Comment

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Scroll to Top