परराष्ट्रमन्त्री सहित १५ देशक राजदूत कन्याममे

इलाम, ३१ चैतः नववर्षक अवसरमे परराष्ट्रमन्त्री डा. आरजु राणा देउवासहित नेपालमे कार्यरत १५ टा देशक राजदूत कन्याम पहुँचल छैथ। परराष्ट्र मन्त्रालय आ नेपाल पर्यटन बोर्डक आयोजनामे तथा इलामक सूर्योदय नगरपालिकाक समन्वयमे अनौपचारिक भ्रमणक क्रममे ओसभ आइ दुपहर कन्याम पहुँचल छैथ।

परराष्ट्रमन्त्री डा. देउवाक नेतृत्वमे परराष्ट्र मन्त्रालयक सचिव अमृत राईसहितक कर्मचारी, बोर्डक प्रतिनिधिसभ आ १५ देशक राजदूत सहित कुल ४५ गोटे उच्च अधिकारीसभ कन्याम भ्रमण कएलैन।

ओहि टोलीकेँ नगरपालिका द्वारा कन्याममे स्वागत कएल गेल आ वाडा नं. ४ स्थित श्रीअन्तु गेल छलैथ । अतिथिसभकेँ कन्याममे पञ्चैबाजासँ स्वागत कएने छल।

परराष्ट्र मन्त्रालयक वार्षिक कार्यक्रम अन्तर्गत राजदूतसभकेँ देशक प्रमुख पर्यटकीय स्थलसभक भ्रमण कराएल जाइत छै। एहि प्रतिनिधिमण्डलमे इजिप्ट, दक्षिण कोरिया, युके, स्वीट्जरलैण्ड, थाइल्याण्ड, अष्ट्रेलिया, फ्रान्स, इजरायल आ जापानक राजदूतसभ सहभागी छैथ।(रासस)

Leave a Comment

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Scroll to Top