झापा, ३१ चैतः प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली झापा, तेह्रथुम आ ताप्लेजुङके १५ सामुदायिक विद्यालयकेँ कम्प्युटर सहित शैक्षिक सामग्री वितरण कएलैन अइछ ।
सामाजिक उत्तरदायित्व अन्तर्गत भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात मन्त्रालयके निर्माण व्यवसाय कोषके नगदसँ आइ दमकमे आयोजित कार्यक्रममे उक्त सामग्री वितरण कएल गेल अइछ ।
प्रधानमन्त्री ओली शैक्षिक गुणस्तर वृद्धिके लेल सरकारी आ निजी क्षेत्र एहने शैक्षिक सामग्री उपलब्ध कराए सहयोग करबा लेल जोड़ देलैन । कार्यक्रममे भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात मन्त्री देवेन्द्र दाहाल सहित सहभागी छलैथ ।(रासस)